ग़ज़ल
अभिनव पल्लव बइसंक देल
अभिनव पल्लव बइसंक देल।धवल कमल फुल पुरहर भेल।।करु मकरंद मन्दाकिनि पानि।अरुन असोग दीप दहु आनि।।माह हे आजि दिवस पुनमन्त।।करिअ चुमाओन राय बसन्त।।संपुन सुधानिधि दधि भल भेल।भगि-भगि भंगर हंकराय गेल।।केसु कुसुम सिन्दुर सम भास।केतकि धुलि बिथरहु पटबास।।भनइ विद्यापति कवि कंठहार।रस बझ सिवसिंह सिव अवतार।।
स्रोत-सत्यापन प्रतीक्षित — This text is pending verification against an authoritative source and may contain errors.